मुजफ्फरपुर मे कुलपति’क आवासक समक्ष उग्र प्रदर्शन

    0
    269

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बीआरए बिहार विश्वविद्यालय कॉलेज कर्मचारीक तामस मंगलदिन फूटि पड़ल। कर्मचारी लोकनि साँझ मे कुलपति आवासक समक्ष धरना पर बैस गेलाह। कॉलेज कर्मचारीक आक्रोश बढ़य लागल अछि। कर्मचारीक हड़तालक 22’म दिन अछि। कॉलेज कर्मचारी विवि अधिकारी के खिलाफ जमिकय नारेबाजी केलक। संगहि कहलनि जे, मांगक समर्थन मे विवि दिस सं अधिसूचना जारी भेलाक बाद धरना सं हटब। सुरक्षा के देखैत वज्र वाहन सहित पुलिसक तैनाती कय देल गेल अछि।

    कुलपति आवासक समक्ष प्रदर्शनक बाद वार्ताक लेल विवि अधिकारी पहुँचल छलाह। कुलसचिव डॉ. रत्नेश मिश्रा व प्रोक्टर डॉ. सतीश कुमार राय कर्मचारी सं वार्ता केलनि। बुधदिन आदेश जारी हेबाक बात कहलाक बाद कॉलेज कर्मचारी उग्र भय गेल। अधिकारी आ कर्मचारी के बीच नोंक-झोंक शुरू भय गेल।

    विवि अधिकारी आंदोलन शुरू हेबाक के दिन स झूठ आश्वासन दय रहल अछि। सब दिन आश्वासनक झांसा दय हड़ताल समाप्त करबाक बात कहल जा रहल अछि। बिहार राज्य विश्वविद्यालय एवं महाविद्यालय कर्मचारी महासंघ स्पष्ट कहलक अछि जे, आदेश जारी हेबा के बाद हड़ताल समाप्त होयत।