निठारी वार्ड नंबर 40 सं भाजपा प्रत्याशी सोना रंजीत चौधरीक जोर

    0
    387

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: दिल्लीक राजनीतिमे मैथिल नेताक सक्रियता आ तत्परता सदैव आकर्षित करैत रहल अछि। दिल्लीक राजनीतिमे पूर्वांचली आ कि खास कए मैथिल जनमानसकेँ नजरि अंदाज नहि कएल जा सकैत अछि। जाहि कारने आए दिल्ली विधानसभामे लगभग एक दर्जन विधायक पूर्वांचलक आवाज बुलंद कए रहल छथि।

    दिल्ली नगर निगम चुनावमे सेहो तमाम पैघ राजनितिक दल पूर्वांचली मतदाताकेँ लूभेबाक लेल बिहारीकें खास कए मैथिलकें खुलि कए टिकट बँटलक अछि। एहने एकटा मैथिल प्रत्यासी छथि सोना रंजीत चौधरी। महिला क्षेत्र हेबाक कारने आ रंजीत चौधरीक सक्रियताकेँ देखैत भाजपा निठारी वार्ड संख्या 40 सं सोना रंजीत चौधरीकें अप्पन प्रत्याशी घोषित केने अछि।

    सोना रणजीत चौधरी एकटा पढ़ल-लिखल गृहणी छथि, हिनकर पति रंजीत चौधरी लगातार 20 साल सं भाजपाक सक्रिय कार्यकर्ता रहल छथि। रंजीत चौधरी फिलहाल पार्टीक जिला महामंत्री पद पर विधमान छथि। कहल जा रहल अछि जे, पार्टी हिनकर नेतृत्व क्षमता आ कर्मठताकें देखैत हिनकर पत्नीकेँ टिकट देलक अछि।

    आर्थिक रूप सं मध्यम वर्गक परिवार सं संबंध रखनिहार सोना रंजीत चौधरी कहैत छथि जे, क्षेत्रकेँ अपना आँखि सं सियान होइत देखने छी, ताहि कारने एतय सं पारिवारिक लगाव अछि, वार्डमे विकासक गति के बढेनाए हमर एकमात्र लक्ष्य अछि। ओ कहै छथि जे, हमर पति एतए निस्वार्थ भावे 20 साल सं लगातर लोकक सेवा कए रहल छथि, अहिमे हिनकर संग देबाक लेल हमहू गृहणी जीवनक त्याग कए सामाजिक बनए एलहुँ।

    मूल रूप सं मधुबनी जिलाक निवासी रंजीत चौधरी कहै छथि, वार्ड हो या विधानसभा क्षेत्र पार्टी नेतृत्व सदैव सबहक विकास चाहलक अछि, अहि संकल्पकें लए 20 साल सं सामाजिक स्तर पर काज कए रहल छी, जाहिमे लोकक खूब स्नेह भेटल अछि। आगू सेहो लोकक स्नेह आ आशीर्वाद भेटैत रहत यैह उम्मीद अछि। पार्टी नेतृत्व आ क्षेत्रक लोककेँ हमरा प्रति जे आशा आ विश्वास छन्हि ओकरा पूरा केनाए हमर पहिल कर्तव्य अछि।