नालंदाक हरनौत थानाक कोयलवा पंचायतक मुखिया पूनम देवीक हत्या

    0
    291

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहारमे आपराधिक घटनामे जाहि प्रकार सं वृद्धि दर्ज कैल जा रहल अछि ओहिकें बाद आब चारू दिर जंगल राज-2 केर बात चलए लागल अछि। शुक्रदिन दुपहरियामे नालांदाक हरनौत थानाक कोयलवा पंचायतक मुखिया पूनम देवीक अज्ञात अपराधी गोली माइर कऽ हत्या कय देलक। पूनम हालहि संपन्न भेल चुनावमे जीत दर्ज कय मुखिया बनल छलीह।
    पूनम देवी अपना गांव हसनपुर सं हरनौत बाजार जा रहल छलीह जतय करीब 3 केर संख्यामे आयल अज्ञात हमलावर हुनका मोटरसाइकिल पर ताबड़-तोड़ गोली चलौलक जाहि सं मुखिायक मृत्यु घटना स्थल पर भए गेलनि। सूत्रक मानी त मुखियाकें पांच राउंड गोली मारल गेल छलनि।