सकरीमे धरना, प्रदर्शन आ नुक्कड़ नाटक कऽ एमएसयूक जनजागरण

    0
    296

    मधुबनी,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः दरभंगाक बाद मिथिला स्टूडेंट यूनियन सकरी आ आसपासक क्षेत्रमे शांतिपूर्ण धरना, प्रदर्शन आ नुक्कड़ नाटक कऽ आम जनताक बीच मिथिलामे बंद पड़ल चीनी मिलकें पुनः चालू करवेवाक लेल जनजागरण अभियान चलौलक। एमएसयूक अहि जनजागरण अहिभयानमे बढ़ि-चढ़ि कऽ स्थानीय जनता लोकनि हिस्सा लेलनि। अहि कार्यक्रमक सब सं खास बात इ रहल जे अहिमे भारी संख्यामे स्थानीय महिला सबहक सेहो सहभागिता देखल गेल।
    28 मई सं शुरू भेल मिथिला स्टूडेंट यूनियनक इ जनजागरण अभियान अगिला 02 जून तक मिथिलाक विभिन्न क्षेत्र सं होइत फेर राजधानी पटनाक तक लए जेवाक बाद अछि। जाहि तरहें युवा लोकनिकें सहर जमीन पर आम लोकक समर्थन भेट रहल अछि ओहिकें बाद इ कहब अतिश्योक्ति नहि हैत जे मिथिलाक अहि युवा वर्गक परिश्रम देखि पटनामे बैसल सरकारकें अवश्ये सोचए पर मजबूर होमए पड़त।