भारत-नेपाल बॉर्डर सं 534 बोतल शराबक संग दू गोट तस्कर गिरफ्तार

    0
    310

    मधुबनी, मिथिला मिरर: भारत-नेपाल सीमा पर पिपरौन एसएसबी सोमदिन राति 134 बोतल नेपाली शराबक संग दू गोट तस्कर के गिरफ्तार केलक अछि। दुनु तस्कर रोहित कुमार तथा रंजीत दास हरलाखी के खिरहर गामक निवासी अछि। एसएसबी इंस्पेक्टर सम्पत सिंह राठौर के नेतृत्व मे गस्ती दलक जवान नेपाल सं साइकिल पर शराब आनैत पकड़लक। अपराधी के मधुबानी उत्पाद एव मध्ननिषेध विभाग के सुपुर्द कय देल गेल।

    दोसर दिस गंगौर एसएसबी केम्प के जवानक गस्ती दल सेहो 400 बोतल शराब बरामद केलक अछि। संगहि तस्कर भगबा मे सफल रहल। प्रशासन के सख्ती एवं कार्रवाई के बावजूद नेपाली शराब तस्करी रुकबाक नाम नहि लय रहल अछि।