मुजफ्फरपुर के केन्द्रीय विद्यालय मे भेल चाकूबाजी, घटनाक खिलाफ प्राथमिकी दर्ज

    0
    272

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर के केन्द्रीय विद्यालय मे छात्रक दू गुटक बीच भेल खूनी झड़प के बाद पुलिस इलाका मे चौकसी बढ़ा देलक अछि। घटना मे घायल छात्र उत्तम के मां हमलावर छात्रक खिलाफ काजीमोहम्मदपुर थाना मे प्राथमिकी दर्ज करौलनि अछि। हमला करबाक लेल आयल छात्र स पुलिस एसकेएमसीएच मे बयान लेबाक प्रयास कय रहल अछि।

    दोसर छात्र एखनहु मेडिकल कॉलेज के अस्पताल मे इलाजरत अछि। दुनू छात्र झपहां सीआरपीएफ ग्रुप केन्द्र मे तैनात कर्मीक बेटा बताओल जा रहल अछि। सोमदिन दूनू छात्र केन्द्रीय विद्यालय के गेटक बाहर आपस मे उलझि गेल जाहि मे एकटा छात्र उत्तम के चाकू लागि गेल।

    दूनू के बीच एकटा छात्रा पर कमेंट कसबाक लेल विवाद भेल छल। छात्रक बीच लगातार भय रहल खूनी घटना सं पुलिस प्रशासन चौकस भय गेल अछि। एम्हर विद्यालय के प्राचार्य अहि मामलाक जांचक लेल छह सदस्यीय कमिटि बनेलक अछि।

    सिटी एसपी आनंद कुमार कहलनि जे, थाना पुलिस के केन्द्रीय विद्यालय इलाका मे चौकस गश्ती करबाक निर्देश देल गेल अछि।