जनसमस्याक लेल संघर्ष तेज करबाक आह्वान

    0
    488

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: भारतीय कम्युनिस्ट पार्टी मा‌र्क्सवादीक जिलास्तरीय प्लेनम जितवारपुर स्थित श्रीकृष्ण उच्च विद्यालय जितवारपुर मे आरंभ भेल। जकर उद्घाटन करैत पार्टी पोलित ब्यूरो सदस्य एस रामचंद्रन पिल्लै कार्यकर्ता सं पार्टीक मजबूतीक आह्वान केलनि। ओ जिला स्तर पर पार्टीक मजबूत करबाक लेल सांगठनिक काजक जनवादी तरीका सं आगू बढ़बाक अपील केलनि।

    ओ जनसमस्याक लेल संघर्ष के तेज करैत संगठन निर्माणक प्रक्रिया के आगू बढेबाक अपील केलनि। अहि अवसर पर पार्टीक राज्य सचिव अवधेश कुमार, राज्य सचिव मंडल अवधेश कुमार, सर्वोदय शर्मा, अजय कुमार, जिला मंत्री रामदयाल भारती, समेत 300 प्रतिनिधी भाग लेलनि।

    कार्यक्रमक अध्यक्षता मनोज कुमार गुप्ता, सुरेन्द्र प्रसाद सिंह एवं रामप्रकाश यादवक अध्यक्ष मंडली केलनि। अहि के पूर्व पोलित ब्यूरो सदस्य शहीद वेदी पर माल्यार्पण कय कार्यक्रमक शुभारंभ केलनि।