एनसीआरबी के रिपोर्ट’क अनुसार हत्या आ डकैती मामला मे बिहार दोसर स्थान पर

    0
    286

    पटना, मिथिला मिरर: राष्ट्रीय अपराध रिकॉर्ड ब्यूरो (एनसीआरबी) साल 2015 स जुड़ल आंकड़ा जारी केलक अछि, जाहि मे दर्शाओल गेल अछि जे, बिहार मे हत्या, अपहरण आ दलित पर उत्पीड़न मामला मे बढ़ोतरी भेल अछि।

    एनसीआरबी के मुताबिक 2015 के दौरान देश मे हत्याक 32 हजार 127 मामला आयल, जाहि मे 3178 हत्या बिहार मे भेल। जहन कि उत्तर प्रदेश मे 4732 हत्या कायल गेल। हत्या के मामला मे यूपी के बाद बिहारक स्थान अछि। अहि तरहे अपहरण मामला मे सेहो बिहार आगू बढ़ल अछि।

    पूरा देश मे 82 हजार 999 अपहरण के मामला दर्ज कायल गेल। जाहि मे बिहार मे 7128 मामला दर्ज कायल गेल, जे यूपी आ महाराष्ट्र के बाद तेसर सब स अधिक अछि। डकैतीक मामला मे सेहो बिहार दोसर स्थान पर अछि। देश भरि मे डकैती के कुल 3972 मामला आयल, जाहि मे बिहार 426 मामलाक संग दोसर स्थान पर अछि।

    हालांकि महिला के खिलाफ अपराध मे बिहारक स्थिति नीक अछि। सब सं अधिक चिंताजनक स्थिति दलित के खिलाफ अपराधक अछि। बिहार मे एक साल मे दलित के खिलाफ 6 हजार 348 अपराध भेल।