DMCH के हाल बेहाल, मूंस कुतरलक मरीजक आँखि

    0
    291

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: बिहार के प्रमुख अस्पताल मे शुमार दरभंगा मेडिकल कॉलेज सह अस्पताल मे आई-कैल्ही गंदगी आ बदइंतज़ामी के संग-संग मूसक आतंक सेहो बढ़ि गेल अछि।

    अस्पताल के मेडिसीन आईसीयू मे भर्ती समस्तीपुर जिलाक खजूरी निवासी रामकिशुन ठाकुर के आँखि के रविदिन राति मे मूस कुतरि देलक। परिजन के अनुसार कोनो स्टाफ या नर्स राति मे उपलब्ध नहि रहैत अछि। पानि सेहो अपने चढाबय पड़ैत अछि आ ऑक्सीजन अपने लगाबय पड़ैत अछि।