नेताक चुनाव प्रचार पर चलि रहल चुनाव आयोगक कैंची

    0
    283

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दिल्ली नगर निगम चुनाव दिनो-दिन जोर पकड़ने जा रहल अछि, अहि बीच राज्य निर्वाचन आयोगक कैंची सेहो धारदार होईत जा रहल अछि। आयोग द्वारा गठित सिंगल विंडो सिस्टम ऐहेन कोनो विज्ञापनकें टीवी, एफएम आ केबल नेटवर्क पर नहि चलय देल  अछि, जाहिमे कोनो आपत्तिजनक सामग्री हो।

    विज्ञापन प्रत्याशीके हों या पार्टीक, एहेन विज्ञापन नकारल जा रहल अछि। हालांकि अहि सख्तीक बीच निगम क्षेत्रमे लागल होर्डिग या पोस्टर पर कोनो जिम्मेदारी नहि लेल जा रहल अछि।

    दरअसल, चुनावी विज्ञापनमे बहुत रास प्रत्याशी प्रतिद्वंदी राजनीतिक दल या उम्मीदवार पर टीका टिप्पणी आ छींटा-कशी करबा सँ बाज नहि अबैत अछि। बहुत बेर कानून व्यवस्था आ वर्ग विशेष पर आंगुर उठा देल जाइत अछि। अहि दुआरे निर्वाचन आयोग अहि बेर एकटा चारि सदस्यीय सिंगल विंडो सिस्टम गठित केलक अछि।

    एसडीएम सरिता सब्बरवालकें एकर मुखिया बनाओल गेल अछि। दिल्ली पुलिस, गृह विभाग आ दिल्ली सरकार सँ सेहो एकटा कए प्रतिनिधि अहिमे शामिल कएल गेल अछि। इलेक्ट्रॉनिक मीडियाकें सब विज्ञापनक पहिने एतय समीक्षा होईत अछि।

    जानकारीक अनुसार सिंगल विंडो सिस्टममे एखन धरि विभिन्न पार्टी सहित प्रत्याशीक 25 टा विज्ञापन आएल अछि। अहिमे बहुतकें मूल स्वरूपमे अनुमति नहि देल गेल अछि। दोसर दिस दिल्लीमे जगह-जगह देदेखबाक भेटि रहल होर्डिग आ पोस्टर वार पर ककरो जोर नजरि नहि अबैत अछि।