एमएसयूक विकासक ज्ञापन नीक आ कि कन्हैया राष्ट्र विरोधी नारा?

    0
    321

    दिल्ली-मिथिला मिररः एक दिस एकटा छात्र संगठन अपन घरक आटा गिल्ल कय मिथिलाक विकास लेल जमीनी स्तर पर जन-जागरूकता चलवैत अछि त दोसर दिस एकटा छात्र संगठन सरकारक अन्न खा, सरकारे कें टका पर पढ़ैत आ ओहिकें बाद राष्ट्र विरोधी गतिविधिमे शामिल होइत अछि। मामला सर्वोच्च अदालतमे छैक आ अदालत एखनो तक उक्त व्यक्ति कें राष्ट्रद्रोह मामला सं फारिक नहि केलक अछि त दोसर दिस बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार उक्त दोषी छात्र कन्हैयाक संग भेंटधांट करैत छथि आ स्वयं फोटा अपना फेसबुक पर पोस्ट करैत छथि।
    बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री आ चारा घोटालाक एकटा मैमलामे सजायाफ्ता मुजरिम लालू प्रसाद यादव सेहो कन्हैयाकें अपना बाहिमे थम्हैत छथि मुदा मिथिला स्टूडेंट यूनियनक छात्र जे मिथिलाक विकासक बात करैत अछि ओकरा पर नीतीश कुमारक काफिलाक सोंझा दरभंगा पुलिस बर्बरताक सब सीमा लांघि दैत अछि। मिथिला स्टेडेंट यूनियनक छात्र अपना अधिकार वास्ते जन-जागरण चला रहल छैथ कारण मिथिलाक विकास अगर हेतै त ओहि सं बिहारक खजना भरतै नहि कि आंदोलन कय रहल छात्र लोकनिक। अगर ओ मिल चालू भ जेतैक तैयो ओहिमे एमएसयूक कोनो लाभ नहि छैक मुदा लालू-नीतीशकें लेल कन्हैया सन छात्र नीक जे नरेन्द्र मोदीक विरूद्ध जहर उगिल सकै।
    ओहेन छात्रक लालू-नीतीश लग कोन काज जे अपना अधिकारक लेल हुनके सम्मुख आंदोलन करय, धरना दैय, प्रदर्शन करैय। मुदा नीतीश बाबू कुर्सी चलयमान छैक, अपने कें सब सं बेसी सीट मिथिले देलक अहि आ इ जानकीक धरती छैक जौं अपने मिथिला आ मैथिलक संग भेदभाव करब त अपने कें जानकीक श्राप लगबे टा करत। फेर तीन बरख बाद अहां कें चुनावमे जेवाक अछि आ समय सेहो धीरे-धीरे बदलि रहल छैक। कन्हैया कुमार सं अहां सब टीवी पर पब्लिसिटी त लय लेब मुदा जमीनी स्तर पर एमएसयू आहां लोकनि पर चुनावी समयमे भारी पड़त। एक बेर कुर्सी गेलाक मोह केहन होइत छैक ओ त समय पड़ पता चलैत छैक।