मिथिलामे ‘पाग मार्चक शुरूआत’ 8 मई कऽ मधुबनी सं

    0
    318

    दिल्ली-मिथिला मिररः 28 फरवरी 2016 कऽ दिल्लीक आईटीओ स्थित राजेन्द्र भवन सं मिथिलालोक आ डाॅ. बीरबल झा केर अगुआईमे पाग बचाउ अभियानक तहत पाग मार्चक शुरूआत कैल गेल। शायद ग्लोबल मिथिलामे इ पहिल पाग मार्च छल जतय सैकड़ोंक संख्यामे स्त्री, पुरूष, वृद्ध आ बच्चा एक संग पाग पहिर एक-दोसराक संग डेग सं डेग बढ़ावैत पाग मार्च केलाह। दिल्लीमे अहि सफलत्त अभ्यासक बाद आ मिथिलाक संपूर्ण जिलामे ‘पाग मार्च’क शुभारंभ 08 मई 2016 कऽ डाॅ. बीरबल झा केर गृह जिला मधुबनी सं शुरू कैल जा रहल अछि जेकरा मिथिलाक संपूर्ण जिलामे सफलता पूवर्क संपन्न करैत बिहारक राजधानी पटनामे आनि एकटा वृहत कार्यक्रमक रूपमे प्रस्तुत कैल जाएत।
    पाग मार्च किएक?
    डाॅ. बीरबल झा कहला जे पाग मार्चक माध्यम सं संपूर्ण मिथिलावासीकें एक सूत्रमे बान्हि हमरा लोकनि विश्व जनमानसकें इ संदेश देवय चाहैत छी जे हमरा सब सांस्कृतिक रूप सं एतेक समृद्ध छी आ अहुं सब अहि चीजकें स्वीकार करैत मिथिला धाम कें दर्शन करी। डाॅ. झा कहला जे मैथिल एतेक गुणी होइत रहला अछि जे ओ सवा कट्ठा जमीनमे बिना किनको सं याचना केलाक बादो अपन गुजर-बसर शान सं कऽ लैत छथि, अहि सं इ पता चलैत अछि जे अठि ठामक व्यक्तिमे प्रबंधकीय गुण कतेक बेसी छैक। अहि बातक जिक्र बीरबल झा पाग बचाउ अभियानक लेल रचित एकटा गीतमे सेहो केलाह अछि।
    एतबे नहि विश्व जनमानसकें एकटा आओर संदेश दैत डाॅ. कहला जे जखन पूरा विश्व मानसिक बिमारी सं ग्रस्त आ त्रस्त अछि एहनमे मिथिला ओहि संपूर्ण व्यक्तिक लेल एकटा पैघ उदाहरण अछि जे मिथिलाक लोक तनाव मुक्त रहैत छथि। जखन लोकमे तनाव बेसी होइत अछि त ओ नानन तरहक रिजाॅर्ट मे जाइत अछि मुदा मिथिलाक हर गाम, हर कलम गाछी अपना-आपमे एकटा रिजाॅर्ट अछि जतए ऐलाह सं मानसिक रूपें जे शांति लोककें भेटत ओ दुनियाक कोनो जगहमे संभव नहि अछि। एतबे नहि जे धरती अपना कोखि सं सनातनक परिचायिका सीताकें जन्म दैत अछि ओहि धरती पर हर घरमे सीता बसैत छथि, एहनमे जे कियो एको बेर मिथिलाधामक दर्शन करताह ओ निश्चित रूपहिं धन्य आ कृतार्थ हेताह।