एमएसयू पर भेल पुलिसया बर्बरता पर श्रृजन शेखरक कलम सं विरोध

    0
    288

    दिल्ली-मिथिला मिररः काल्हि दरभंगा में चीनी मिल के लेल ज्ञापन देबऽ जा रहल MSU के छात्र सभ पर पुलिस लाठी चार्ज केलक आ हुनका सब के गिरफ़्तार कऽ लेलक। छात्र सब के बोरा के सामान जेना उठा कऽ पुलिस पटकलक,मैथिल बेटी के लाति आ घूँसा सऽ मारल गेल।पुलिस के व्यवहार छात्रक संग पूर्ण अमानवीय आ निंदनीय छल।ई छात्र सब चीनी मिल खोलेबाक लेल मुख्यमंत्री के शांतिपूर्ण ढंग सऽ ज्ञापन देबऽ गेल छल,चीनी मिल खुजतै तै में हिनकर सभ के कोनो निजी स्वार्थ पूर्ति नहिं हेतनि।पूरा मिथिला के किसान सभ लाभान्वित हेतैथ,मिथिला के विकास में गति आओत।जँ मिथिला के विकास हैत तऽओहि सऽ राज्य आ देशक विकास में सेहो सहयोग होयत।

    कि समाज,राज्य आ देश हितक बात करनाय ओहि लेल आवाज़ उठेनाय कोनो जुर्म छै? कि छात्र सब लऽग कोनो शस्त्र छल या फेर ई सब कोनो ग़ैर-कानूनी कार्य कऽ रहल छलथि? या फेर लोकतंत्रक जनप्रतिनिधि या प्रशासन अपना आप के राजा आ जे जनता हुनका कुर्सी पर बैसैक आदर देने छनि तकरा ओ बेवकूफ आ निर्बल बूझि रहल छथिन? या मैथिल आ मिथिला के मुर्दा मानि लेल जाय जिनका कियो कतबो लाठी मारतनि ओ चुपचाप बैसल रहतैथ? मिथिलावासी कहिया तक दुत्कार सहब कहिया तक मारि सहब । कहिया तक हारि रहब कहिया तक गारि सुनब। आउ मिलि कऽ शांतिपूर्ण ढंग सऽ अपन विरोध व्यक्त करी।

    जखन कखनो अहाँ क्षेत्र के नेता वोट माँगथि हुनका सऽ पूछिऔन चीनी मिल? ई देवाल खसले छै, बस एकटा धक्का दिऔ। हऽम सब मैथिल भाय-बंधु सऽ अपील करबनि जे अपन आक्रोश आ विरोध निश्चित व्यक्त करी,मिथिला जागि गेल छैक आब मिथिला के आगू बढय सऽ किओ रोकि नहिं सकत। Facebook पर CMO Bihar के मैसेज द्वारा अपन विरोध व्यक्त कऽ सकैत छी। CMO BIHAR पर Write to CM के विकल्प अछि अहाँ ओतहु अपन विरोध व्यक्त कऽ सकैत छी। चुप नहिं बैसू ,ई चुप्पी जान मारलक अइछि।