गोपालगंजमे ‘चलू पुनौराधाम’ यात्राक भव्य स्वागत

    0
    331
    दिल्ली, मिथिला मिरर: वैदेही संस्था द्वारा आयोजित ‘यात्रा राजधानी सं संस्कारधानी तक’कें आए दोसर दिन बिहारक गोपालगंजमे न्यूटन पब्लिक स्कूल द्वारा यात्रा टीमक भव्य स्वागत कएल गेल। लगभग 2,500 बच्चाकेँ संबोधित करैत वैदेहीक संस्थापक अमर नाथ झा बच्चाकें सीता माताक विषयमे बतौलनि।
    अमर नाथ झा अहि सफल स्वागत कार्यक्रमक लेल स्कूल प्रबंधन, प्रिंसिपल के.के सिंह एवं सब शिक्षिक-शिक्षिका सहित बच्चाकेँ हार्दिक आभार प्रकट केलनि। संगहि अहि कार्यक्रमकें संयोजनक लेल जयप्रकाशकें धन्यवाद ज्ञापन केलनि।
    ज्ञात हो कि मंगलदिन राज्यसभा सांसद प्रभात झा आ पंजाब भाजपाक महामंत्री द्वारा झंडा देखा कए रवाना कएल गेल, अहिकेँ संग दिल्ली सं सीता माताक जन्मस्थली सीतामढ़ीकें पुनौराधामक यात्राकें विधिवत शुरुआत कएल गेल। ई यात्रा 2 मई कए दिल्ली सं शुरू भए लखनऊ गोरखपुर होईत मिथिला स्थित सीतामढ़ी पहुँचत आ फेर ओतए होबए वला 3 आ 4 मई कए सीता प्राकट्योत्सव समारोहमे भागीदारी करैत 5 मई कए दिल्ली वापसी करत।