मिथिला सांस्कृतिक समन्वय समिति द्वारा गुवाहाटीमे मनाओल जा रहल अछि ‘जानकी अवतरणोत्सव’

    0
    293

    गुआहाटी, मिथिला मिरर: मिथिला सांस्कृतिक समन्वय समिति द्वारा बृहस्पति दिन साँझकेँ चारि बजे आई.टी.ए. सेंटरमे ‘जानकी अवतरणोत्सव’ मनाएल जा रहल अछि। अहि कार्यक्रम सं पूर्व भोरे सं गणेश गुड़ी स्थित जानकी वल्सय मंदिरमे जानकी पूजाक आयोजन कएल जाएत।

    संध्या काल आयोजित जानकी अवतरणोत्सवमे दू सत्रमे कार्यक्रम आयोजित कएल जाएत। जाहिमे पहिल सत्र साहित्यिक आ दोसर सत्र सांस्कृतिक रहत। साहित्यिक सत्रक मुख्य अतिथि शिक्षा विभागक सं अवकाश प्राप्त अधिकारी डॉ. सतीश चंद्र शर्मा रहताह। सतीश शर्मा द्वारा वाल्मीकि रामायण, माधव कंदली, भानु भक्त, सीतारामचरित सं सम्बंधित साहित्यिक आ सांस्कृतिक वक्तव्य सुनबाक भेटत। अहि सत्रमे विशेष अतिथिकेँ रूपमे पवित्र कुमार शर्मा सेहो मौजूद रहताह। अहि सं पूर्व पूनम झाकें उद्घोषण आ स्वागत भाषण सं सतर्क शुरुआत कएल जाएत।

    दोसर सत्रमे स्थानीय कलाकार नित्यांजल सेन, संतोष कुमार, डॉली मैथिल तालुकदार आ अन्य कलाकार अपन प्रस्तुति देताह। कार्यक्रमक शुरुआत सोहर गीत सं होएत। अहिकेँ बाद विभिन्न प्रस्तुतिकेँ बाद समदउन सं कार्यक्रमक समापन कएल जाएत।

    संस्थाक अध्यक्ष प्रेम कान्त चौधरी विभिन्न संस्थान आ स्थानीय प्रवासी मैथिल सं कार्यक्रममे एबाक आग्रह केलनि अछि।