स्वराज इंडियाकें नहि भेटत एक रंगक चुनाव चिन्ह

    0
    288

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दिल्ली निगम चुनावमे स्वराज इंडियाकें एक समान चुनाव चिन्ह नहि भेटत। उच्च न्यायालय सोमदिन स्वराज इंडियाकें एक समान चुनाव चिन्हक मांगकें खारिज कए देलक। पार्टी राज्य निर्वाचन आयोगक 7 मार्च आ उच्च न्यायालयके एकल पीठकें 29 मार्चक फैसलाक खिलाफ अपील दाखिल करैत अहि चुनावमे अपन सब उम्मीदवारके लेल एक समान चुनाव चिन्ह देबाक मांग केने छल।

    जस्टिस संजीव खन्ना आ चंद्रशेखरकें पीठ अपन अंतरिम फैसला मे कहलनि जे, निर्वाचन आयोग सं 31 अन्य पंजीकृत आ 11 गैरपंजीकृत दल एक समान चुनाव चिन्हक मांग केलक अछि। ऐहेनमे अपीलकर्ताकें मांग पर विचार नहि कएल जा सकैत अछि।

    उच्च न्यायालय कहलक जे, एहेन समयमे स्वराज इंडियाक मांगकें स्वीकार करब चुनावक प्रक्रिया कमजोर केनाईकें बराबर होएत। मामलामे सब पक्षक उच्च न्यायालय 19 जुलाई तक अपन-अपन पक्ष रखबाक लेल कहलक अछि।