भाजपा-कांग्रेसमे टिकट बंटवारा पर मारामारी

    0
    264

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दिल्ली नगर निगमकें 272 सीट पर प्रत्याशिक चयनकें बाद भाजपा आ कांग्रेसकें भीतर दंगल शुरू भए गेल अछि। पार्टीक र्शीष नेतृत्व द्वारा घोषित कएल गेल नामकें लए दूनू पार्टीमे सोमदिन नाराजगी साफ नजरि आएल। नामांकनके आखिरी दिन छोट नेता सन वरिष्ठ नेता धरि टिकट बंटवाराक खिलाफ विरोध शुरू कए देलक।

    वरिष्ठ कांग्रेसी नेता अशोक वालिया पार्टीमे टिकटके वितरणक लेल खुलिकए नाराजगी जाहिर केलनि। ओतहि कांग्रेस नेता संदीप दीक्षित आ हारून यूसुफ सेहो अप्पन नाराजगी देखौलनि। टिकट बंटवाराक खिलाफ बगावती तेवर अपनाबैत कांग्रेसक पूर्व वरिष्ठ विधायक अमरीश गौतम सोमदिन भाजपामे शामिल हेबाक ऐलान कए देलनि।

    दोसर दिस टिकटक नाराजगीकें लए भाजपा प्रदेश कार्यालयमे सेहो विरोध प्रदर्शनक सिलसिला जारी रहल। एतए आबए वला प्रत्याशी पार्टी द्वारा मैदानमे उतारल गेल चेहराक लए अप्पन नाराजगी जता रहल छलाह।

    कार्यकर्ता सब प्रदेश कार्यालयमे प्रदेश अध्यक्ष मनोज तिवारीक खिलाफ जमिकए नारेबाजी केलनि। पार्टी अहि हंगामा सं बचबाक लेल आखिरी समय पर टिकट वितरण करबाक नीति पर काज केने छल।