दहेजमुक्त भारत’क लेल मुजफ्फरपुरमे ‘पैदल मार्च’

    0
    313

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: दहेजमुक्त भारतक नवनिर्माणकें संकल्प’क लए सोमदिन निर्भया सेना पैदल मार्च करैत आम लोक सं सेहो अहि मुहिममे जुटबाक अपील केलनि। नेतृत्व संगठनक राष्ट्रीय अध्यक्ष सतीश मिश्र ‘बाबा’ कए रहल छलाह। ओ दहेजकें समाजक लेल कोढ़ि बताओलनि। ओ कहलनि जे, हमार देशमे दहेज प्रथा एहेन सामाजिक अभिशाप अछि, जे महिलाक संग होबए वला अपराध, चाहे ओ मानसिक हो या शारीरिक ओकरा बढ़ावा दैत अछि।

    प्रदेश अध्यक्ष आरती सिंह कहलनि जे, दहेज रूपी दानवकें भय सं पूरा देशमे अवैध अल्ट्रासाउंड क्लीनिकमे रोज लाखो लड़किक मांकें गर्भमे मारि देल जा रहल अछि। प्रदेश महासचिव रानी श्रीवास्तव कहलनि जे, सब दिन हम दहेजक लेल हत्या या फिर घरेलू हिंसा सं जुड़ल खबरि सं दू-चारि होबय पड़त।