मुजफ्फरपुर मे एसआईटी’क टीम पकड़लक 500 कार्टून विदेशी शराब

    0
    272

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार के मुजफ्फरपुर सं शराबक पैघ खेप पकड़ल गेल अछि। जिला के सरैया थानाक मनिकपुर मोड़ सं एसआईटी’क टीम हरियाणा निर्मित विदेशी शराबक पैघ खेप पकड़लक अछि।

    एसआईटी ट्रक पर करीब 500 कार्टून मे राखल 6000 बोतल विदेशी शराब के जब्त केलक अछि। जानकारी के अनुसार धंधेबाज शराबक ई खेप पटना सं पारू थाना के फंदा गाम जा रहल छल। पुलिस अधिकारी द्वारा जब्त कायल गेल शराबक कीमत खुदरा बाजार मे 75 लाख रुपैया आंकल जा रहल अछि।

    हाल के दिन मे ई पहिल मौका अछि जहन एतेक पैघ मात्रा मे शराब पकड़ल गेल हो। शराब सं भरल ट्रक हरियाणाक अम्बाला सं मुजफ्फरपुर के पारू लय जा रहल छल। ट्रक के पटना सं निकैलतहि एसआईटी के सूचना भेट गेल छल, जकरा बाद एसआईटी’क टीम मानिकपुर मोड़ पर ओवरटेक कय ट्रक के घेरलक। पुलिस शराब लादल ट्रक के जब्त केलाक बाद थाना आनि कय चालक के गिरफ्तार कय लेलक अछि।