दरभंगामे शराब’क संग दू गोटे गिरफ्तार

    0
    514

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: नगर थाना क्षेत्रक पुलिस आयकर चौराहाक समीप टेम्पू सं 44 बोतल बंगाल निर्मित रॉयल स्टेग शराबक संग दू गोटेकेँ गिरफ्तार केलक अछि। अपर पुलिस अधीक्षक दिलनवाज अहमद कहलनि जे, डीलाहीकें रहय वला मो. आसीफकें पुत्र मो. नौसाद एवं योगेन्द्र कुमार यादवके पुत्र संतोष कुमार यादव के शराबक संग गिरफ्तार कएल गेल अछि।

    ओ कहलनि जे, दू टा बैगमे 44 बोतल शराब राखल छल, पुलिसकें देखते दुनू गाड़ी छोड़िकय भागय लागल। अहि दौरान 10 बोतल शराब फुटि गेल। फिलहाल पुलिस दुनू सं पूछताछ कय रहल अछि।