बिहारक विकास दर मे भारी गिरावट

    0
    259

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक विकास दर मे अहि साल भारी गिरावट दर्ज कायल गेल। 2014-15 मे बिहारक विकास दर 13.02 फीसदी छल जे 2015-16 वित्तीय वर्ष मे घटिकय 7.14 फीसदी रहि गेल। एक साल मे बिहार विकास दर मे 5.88 फीसदीक गिरावाट आयल अछि। ई गिरावट स्थिर दर आ वर्तमान दर दुनू पर भेल अछि।

    बिहारक विकास दर मे गिरावट के खुलासा केंद्रीय सांख्यिकी विभाग यानि सीएसओ अप्पन जारी आंकड़ा मे केलक अछि, मुदा एखन ई अंतिम आंकड़ा नहिं कहल जा रहल अछि।

    एम्हर बिहार सरकार केंद्र सरकारक अहि आंकड़ा के खारिज कय देलक अछि। राज्य सरकार अहि आंकड़ा के फर्जी करार देलक अछि। वाणिज्यकर मंत्री विजेंद्र यादव के कहब छन्हि जे, ई राजनीतिक आधार पर तैयार कायल गेल रिपोर्ट अछि। सर्विस सेक्टर मे 74 हजारक गैप देखायल गेल अछि जे, हैरान करय बला अछि। अहि तरह कृषि ग्रोथ रेट के नहि मानल जा सकैत अछि।