बिहार मे डीजल आ पेट्रोलक दाम मे बृद्धि, कैबिनेट मे प्रस्ताव मंजूर

    0
    276

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे आब पेट्रोल आ डीजल खरीदबाक लेल अधिक रुपैया चुकबय पड़त।मंगलदिन बिहार कैबिनेटक बैठक मे डीजल आ पेट्रोल पर टैक्स मे बढ़ोतरी करबाक फैसला कायल गेल।

    राज्य सरकार डीजल पर टैक्स मे एक फीसदी आ पेट्रोल पर डेढ़ फीसदीक बढ़ोतरी करबाक फैसला केलक अछि। अहि वृद्धि स सरकार के प्रति माह 22.42 करोड़ राशिक अतिरिक्त आमदनी होयत।

    आब डीजल पर 19 फीसदी आ पेट्रोल पर 26 फीसदी टैक्स लागत। मंगलदिन कैबिनेटक टैक्स वृद्धि पर मुहर लाईग गेल। जाहि स सरकार के सलाना 260 करोड़ रुपैयाक संग्रह होयत।