‘अटल’ अस्थि कलश पहुँचल पटना, एयरपोर्टसँ शुरू भेल यात्रा

0
445

पटना, मिथिला मिरर :  भाजपा प्रदेश अध्यक्ष नित्यानंद राय पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयीजीक अस्थि कलश ल’ पटना पहुँचला। एयरपोर्टकेँ  बाहर हजारोंकेँ संख्यामे लोक सभ अस्थि कलशक इंतजार क’ रहल छलाह। कलश यात्राक लेल एकटा ट्रककेँ रथक रूपमे तैयार कएल गेल छल। 22 अगस्त, 2018 बुधदिन बेरुपहर करीब 3:40 बजे नित्यानंद राय हाथमे अटलजीक अस्थि कलश ल’ एयरपोर्टसँ बाहर निकललाह। बतादी जे दिल्लीमे पीएम मोदी नित्यानंद रायकेँ इ अस्थि कलश सौंपने छलाह। एयरपोर्टसँ बाहर आबि नित्यानंद अस्थि कलश ल’ रथ पर सवार भ’ गेलाह। रथ पर सुशील मोदी, नंदकिशोर यादव सहित बिहार बीजेपीक वरिष्ठ नेता लोकनि मौजूद छलाह। बंदे मातरम, भारत माता की जय, अटल बिहारी अमर रहे नाराक संग रथ यात्रा शुरू भेल आ इ यात्रा वीरचंद्र पटेल पथ स्थित बीजेपी पार्टी ऑफिस तक जाएत। अटलजीक अस्थि अवशेष बिहारक सभटा प्रमुख नदीमे प्रवाहित कएल जाएत। एहि विशेष काजक लेल मंत्री आ पदाधिकारी सभकेँ जिम्मेदारी सौंपल गेल अछि। अगिला तीन दिनमे समुच्चा बिहार प्रदेशक नदी सभमे अटलजीक अस्थि अवशेष  विसर्जित कएल जायत। एहि लेल  बक्सर, पटना, सिमरिया, अजगैबीनाथ सुल्तानगंज, भागलपुरमे गंगा नदी, गयामे फल्गू नदी, छपरामे घाघरा नदी, चंपारण आ हाजीपुरमे नारायणी नदी, पूर्णियामे महानंदा नदीक तट पर श्रद्धांजलि सभा क’ अटलजीक अस्थि प्रवाहित कएल जाएत। मिथिला क्षेत्रमे प्रदेश अध्यक्ष नित्यानंद राय स्वयं समस्तीपुर, दरभंगा, मधुबनी, झंझारपुर आ सुपौल होइत बागमती, कमला आ कोसी नदिमे अस्थि प्रवाहित करताह।