कॉलेज छात्र के नंगा कय पीटल गेल, जदयू नेता पर आरोप

    0
    305

    पटना, मिथिला मिरर: कानून-व्‍यवस्‍था के मुद्दा पर विपक्षक हमला झेलि रहल नीतीश कुमारक मुश्‍किल दिनोदिन बढ़िये रहल अछि। पटनाक कॉलेज ऑफ कॉमर्स के छात्रक निर्दयिता स कायल गेल पिटाई एकटा विडियो प्रकाश मे आयल अछि। छात्रक एकटा टोली एकटा अन्य छात्र के नंगा कय कय अधमरा अवस्था मे एकटा कमरा मे बंद कय देलक।

    पीड़ित युवक आ युवकक परिवार अहि घटनाक बाद काफी सहमा अछि। पिटाई के आरोप जदयू के एकटा नेता पर लगाओल जा रहल अछि। पटनाक एसएसपी मनू महाराज कहलनि जे, ई घटना दू महिना पूर्वहि के अछि। पीड़ित के सामने नहिं एबाक कारने कोनो कार्रवाई नहि भ सकल अछि। एसएसपी कहलनि जे, पीड़ित छात्र शिवम पर सेहो पिछला सप्ताह एकटा लड़कीक पिटाई करबाक आरोप लागल छल। शिवम आ हुनकर परिजन अहि आरोप के विरोधिक साजिश बता रहल छथि।