बीपीएससीमे आठ छात्र मैथिली भाषासँ सफल

0
466

दरभंगा, मिथिला मिरर : रविदिन 19 अगस्त बिहार लोक सेवा आयोगके 56 सँ 59म परीक्षाक परिणाम घोषित भेल। जाहिमे मिथिलासँ लगभग 100 परीक्षार्थीक चयन भेलनि। अखन तक प्राप्त सूचनाक मुताबिक 8 छात्र मैथिली भाषासँ  इ परीक्षा पास कएलनि जे मैथिलीक लेल बड्ड नीक खबरि अछि। निश्चित रुपे ई विद्यार्थी लोकनिक निष्ठा, मेहनत आ मार्गदर्शकक एकटा सफल मार्गदर्शनक परिणाम थिक। मैथिली भाषासँ  ई  परीक्षा पास केनिहार सफल छात्र नवल किशोरकेँ  चयन बिहार पुलिस सेवा (डीएसपी)केँ लेल भेलनि जे मुख्य रुपसँ  भुइका, लखीसराय जिलाक निवासी छथि। एहि क्रममे बिहार पुलिस सेवाक लेल शिव कुमार साहक चयन सेहो भेलनि। नगर निगम कार्यपालक पदाधिकारीक लेल तुमौल, बहेड़ा निवासी पुष्कर कुमार पुष्प आ मकरमपुर, बहेड़ा निवासी आशुतोष आनंद चौधरी संगहि जयवीर कुमार के चयन सेहो भेलनि अछि। तहिना वाणिज्य कर पदाधिकारीक लेल शशि भूषण कुमार, सहायक परियोजना पदाधिकारीक लेल लाखो, बेगुसराय निवासी निशांत पटेल आ जिला शिक्षा पदाधिकारीक लेल भगवानपुर, बेगुसराय हेमचंद के चयन भेलनि अछि। निश्चित रुपे इ मिथिलावासीक लेल गौरवक बात अछि। सी एम साइंस कॉलेज दरभंगाक मैथिली विभागाध्यक्ष नारायण झाक  मुताबिक एहि साल लगभग 50 छात्र मैथिली विषय ल’ साक्षात्कारमे भाग लेने छलथि जाहिमे सँ 25टा  छात्र सफल घोषित कएल गेलथि। बतादी जे पछिला साल ई  संख्या 15 छल। मैथिली भाषाक अलावे आनो-आन विषयसँ  कतेको छात्र-छात्रा सफलता प्राप्त केलनि अछि जाहिमे श्रेया, रवि, शिप्रा, सुभाष, राजेश, पंकज मिश्र, चन्दन प्रभाकर सेहो डंका बजौलनि। एतबे नहि घनश्यामपुर निवासी शाकम्भरी चन्दन पूरा बिहारमे दोसर स्थान प्राप्त क’ मिथिलाक नाम रौशन केलीह ।