पुलिस पर गोलीबारी करय वला कुख्यात अपराधी चुम्मन पांडे गिरफ्तार

    0
    310

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर के कथैया थाना क्षेत्र सं नवलपुर गोधवारा पंचायत के मुखिया पति चुम्मन पांडे उर्फ़ मुक्तेश्वर पांडे के पुलिस के ऊपर गोली बारी करबाक आरोप मे मुजफ्फरपुर पुलिस गिरफ्तार केलक अछि। एसएसपी विवेक कुमार के अनुसार चुम्मन पर पूर्व सं आपराधिक मामला दर्ज अछि।

    पुलिस टीम छापेमारी कय गिरफ्तार करबाक लेल पहुँचल त अपराधी द्वारा पुलिस पर करीब 30 राउंड फायरिंग कायल गेल। जवाबी कार्रवाई मे पुलिस सेहो गोली चलेलक आ चुम्मन के पुलिस गिरफ्तार कय लेलक। चुम्मन के घर मे तलाशी के दौरान 3 टा देसी कट्टा, 12 टा खोखा आ 18 टा कारतूस बरामद कायल गेल।

    एकटा अन्य घटना मे मुजफ्फरपुर के बोचहां एवं कथैया थाना क्षेत्र सं गुप्प्त सूचना के आधार पर पुलिस 7 टा अपराधी के गिरफ्तार केलक अछि। गिरफ्तार अपराधी लग सं 6 टा पिस्टल एवं 26 टा कारतूस बरामद कायल गेल अछि। एसएसपी विवेक कुमार के अनुसार बोचहा थाना क्षेत्रक सरफुद्दीन ओवर ब्रिज के समीप लूटक वारदात के योजना बनाबैत 4 टा अपराधी के बोचहां थाना के पुलिस गिरफ्तार केलक अछि।