रिटायर्ड न्यायाधीशक पुत्र के ऑफिस मे होइत छल शराब बिक्री

    0
    289

    पटना, मिथिला मिरर: राजधानी पटना के अवकाश प्राप्त न्यायाधीश आरपी सिंह’क बेटा प्रॉपर्टी डीलर विनोद कुमार के बोरिंग रोड स्थित ऑफिस सं 30 बोतल ब्लेंडर पराइड शराब बरामद कायल गेल अछि।

    एसके पूरी पुलिस के लगातार अहि बातक सूचना भेट रहल छल, कि प्रॉपर्टी डीलिंग के धंधा करय वला एकटा युवक अप्पन ऑफिस सं शराबक बिक्री कय रहल अछि। गुप्त सूचना भेटला पर थाना प्रभारी संजय वर्मा बोरिंग रोड स्थित आॅफिस मे छापेमारी केलनि। छापेमारी मे आॅफिस के दराज सं शराबक बोतल भेटल। पुलिस शराब के कब्ज़ा मे लय मामला दर्ज कय लेलक अछि।