मैथिली कवि विनय कुमार झा’क एकल काव्य पाठ

    0
    302

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी स्थित केंद्रीय पुस्तकालय मे मैथिली कवि आ हैदराबाद स्थित एटॉमिक रीसर्च सेन्टर मे वैज्ञानिक’क पद पर कार्यरत विनय कुमार झा’क एकल काव्य पाठक आयोजन कायल जा रहल अछि। ई कार्यक्रम दिनांक 26 अक्टूबर दिन मे 2 बजे आयोजित अछि। एहि अवसर पर सुपौल सं अरविन्द ठाकुर सेहो उपस्थित रहताह।

    मधुबनी जिलाक राघोपुर निवासी विनय कुमार झा हैदराबाद मे कार्यरत रहितहु सदैव मैथिली साहित्य सं जुड़ल रहलाह आ समय-समय पर साहित्यिक क्षेत्र मे अप्पन नव-नव रचना सं मैथिली पाठक वर्ग के मंत्र मुग्ध करैत रहलाह अछि।

    वर्तमान मे विनय कुमार झा ‘मिथिला सांस्कृतिक परिषद हैदराबाद’ के गृहपत्रिका ‘प्रवासी’ के संपादनक कार्य सेहो कय रहल छथि।