मधुबनीमे क्राइम कंट्रोल आ लॉ एंड आर्डर पहिल प्राथमिकता : एसपी मधुबनी

0
1096
DJL´F¼d»FÀF A²FeÃFIY ÀF°¹F ´FiIYFVF

मधुबनी, मिथिला मिरर : लगैत अछि जे आब बिहार पुलिस सेहो बढैत अपराधसँ चिंतित भ’ गेल अछि। पहिने उत्तर बिहार खास क’ मिथिला क्षेत्रमे अपराधक प्रतिशत कम छल। मुदा आब मिथिलामे सेहो अपराध अपन चरम सीमा पर अछि। एहन कोनो दिन नै बितैत अछि जाहि दिन दू-चारीटा अपराधक खबरि नै अबैत अछि। आखिर पुलिस कहिया धरि कुंभकरणी नींदमे सुतल रहत। पछिला एक-डेढ़ सालसँ मिथिलाक मधुबनी जिलामे सेहो अपराध लगातार बढ़ी रहल अछि। छिना झपटी त’ आब मामूली बात भेल। लूट-पाट, अपहरण, हत्या एतय तक जे यौन शोषण सन जघन अपराधमे लगातार वृद्धि भ’ रहल अछि। जे मिथिला कहियो शांतिक प्रतिक छल आब धीरे-धीरे अपराध नगरी बनल जा रहल अछि। बात मधुबनी जिलाक अछि। पूर्व पुलिस कप्तान दीपक वर्णवाल अपराध रोकबामे सफल नै भेलाह। आब नव नियुक्त पुलिस कप्तान भेलाह अछि सत्य प्रकाश। मधुबनी जिलाक नव पुलिस अधीक्षक सत्य प्रकाश कहलनि अछि जे लोकसभा चुनावकेँ दौरान शांतिपूर्ण माहौल बना क’ राखब हुनक  प्राथमिकता छनि, ताकि मतदाता भयमुक्त आ निर्भिक भ’ अपन मताधिकारकेँ प्रयोग क’ सकैत। समबेदनशील बूथ पर सुरक्षाक विशेष चौकसी रहत। सत्य प्रकाश कहलनि अछि जे जिलाक हरेक थाना क्षेत्र अंतर्गत क्राइम कंट्रोल, गुणवत्तापूर्ण अनुसंधान, लॉ एंड आर्डरकेँ संग-संग गंभीर कांडक शीघ्र एसडीपीओ स्तरसँ पर्यवेक्षण करबेनाइ हुनक प्राथमिकतामे शामिल अछि। संगे कहलाह जे जिलाक हेरेक इंट्री प्वाइंट पर चौबीसोँ घंटा चेकिंग व्यवस्था सुनिश्चित कएल जायत। ताकि अवांछित आ आपराधिक प्रवृतिकेँ लोकक जिलामे प्रवेशकेँ नियंत्रित कएल जा सकत। थाना स्तर पर सेहो क्वीक ऐक्शन लेल रिस्पांस टाइमकेँ कम कएल जेबाक प्रयास कएल जायत, ताकि कोनो प्रकारक अपराध भेला पर पुलिस कमसँ कम समयमे घटना स्थल पर पहुँचल जा सकत। नवका एसपी कहलनि जे पुलिसिंगकेँ पूर्ण तरहें पब्लिक फ्रेंडली बनाओल जायत, ताकि पीड़ित व्यक्ति बेहिचक पुलिसकेँ अपन समझी अपन पीड़ा बयां क’ सकत आ अपराधी पुलिससँ खौफ खायत।

नव पुलिस कप्तान कहलनि जे थानाध्यक्ष अपन थाना क्षेत्रमे क्राइम कंट्रोलमे विफल साबित होयत, हुनका बख्शल नहि जायत। शराब वा कोनो अन्य अवैध करोबारमे अगर कोनो पुलिस पदाधिकारी या पुलिस कर्मी संलिप्त पाओल जायत, त’ तत्काल हुनका विरूद्ध प्राथमिकी दर्ज क’ जेल भेज देल जायत। एकर अलावे बर्खास्तगीक कार्रवाई हेतु सेहो आवश्यक प्रक्रिया अपनाओल जायत। कोनो गंभीर कांडमे संबंधित एसडीपीओकेँ तीन दिनके भीतर सुपरवीजन समर्पित करय पड़त। पुलिस एकटा परिवारकेँ तरह अछि आ टीम भावनासँ काज करबा लेल प्रेरित कएल जायत। संगे कहलाह गलती व लापरवाही बर्दाश्त नै कएल जायत। प्रशासनसँ सेहो समन्वय बना क’ रखबाक जरूरत अछि। जँ जमीन विवादसँ जुड़ल कोनो मामला हुनका लग आओत त’ संबंधित थानाध्यक्ष आ सीओ जिम्मेवार मानल जेताह। शहरमे ट्रैफिक कंट्रोल लेल एनसीसीक सहयोग सेहो लेल जायत।

एतय बतेनाइ जरूरी अछि जे जिलाक नव नियुक्त पुलिस कप्तान सत्य प्रकाश 2011 बैचक आईपीएस अधिकारी छथि। ई बिहारक नालंदा जिलाक रहय वला छथि। औरंगाबाद जिलासँ  स्थानांतरित भ’ एतय एलाह अछि। सोमदिन ओ मधुबनीक एसपी पद पर अपन कार्यभार सम्हारलनि। ओ प्रभारी एसपी सह एएसपी कामिनी बालासँ प्रभार ग्रहण कएलनि। एहि दौरान एएसपी कामिनी बाला, बेनीपट्टी एसडीपीओ पुष्कर कुमार, पुलपरास एसडीपीओ सुनीता कुमारी, जयनगर एसडीपीओ सुमित कुमार, सदर एसडीओ सुनील कुमार सिंह सेहो मौजूद छलथि।