पुलवामा हमलाक लेल गेल बदला, पाकिस्तान स्थित कतेको आतंकी कैंप भेल तबाह

0
570

दिल्ली, मिथिला मिरर : भारतीय वायुसेना पाकिस्तान पर बहुत पैघ कार्रवाई केलक अछि। भारतीय वायुसेना आतंकी पर कार्रवाई करैत पुलवामा आतंकी हमलाक जवाब देलक अछि। वायुसेना सीमा पार छिप क’ बैसल जैश-ए-मोहम्मदक आतंकवादीकेँ खिलाफ मंगलदिन भोरुकबा करीब 3.30 बजे एकटा पैघ कार्रवाई करैत आतंकी कैम्प पर 1000 किलो बम गिरा क’ कतेको कैंपकेँ ध्वस्त क’ देलक। जाहिमे लगभग तीन सौ आतंकीकेँ मारल जेबाक खबरि अछि।  शहीद जवानक तेरहवींकेँ दिन बदला ल’ सरकार अपन राजनीतिक इच्‍छाशक्तिकेँ परिचय देलक अछि आ सेना अपन पराक्रमसँ एकरा अंजाम धरि पहुँचेबाक काज केलक। चारो दिस दिन भरी सेनाक जय जयकार भ’ रहल अछि। समाचार एजेंसी एएनआईकेँ मानी त’ भारतीय वायुसेना एलओसी पार क’ भारतीय वायुसेनाक 12 मिराज विमान जैशक ठिकानाकेँ तबाह क’ देलक।
पाकिस्तानक बालाकोटमे भारतीय वायुसेनाकेँ तरफसँ एक्शन लेल गेल। बालाकोटकेँ संग-संग हमर वायुसेना मुजफ्फराबाद आ चकोटी स्थित जैशक कैंपकेँ निशाना बनेलक। जानकारीकेँ मुताबिक वायुसेना जैशक क्ट्रोल रूम अल्फा-3 केँ सेहो नेस्तानाबूत क’ देलक। बतादी जे बालाकोट पाकिस्तानक एबटाबादकेँ नजदीक स्थिति अछि। एलओसीसँ बालाकोटक दूरी मात्र 88 किलोमीटर अछि। एबटाबाद वैह इलाका अछि जतय ओसामा बिन लादेन छिपल छल। भारतीय वायुसेना द्वारा एतेक अंदर धरि जा कार्रवाई केनाय बेहद सफल ऑपरेशन मानल जा रहल अछि। मालूम होयत जे पुलवामा हमलाकेँ बाद प्रधानमंत्री मोदी कहने छलथि जे सेनाकेँ पूर्ण छूट द’ देल गेल अछि आ आब सेना तय करत की कोना, कोन समयमे एकर बदला लेत। एकर बाद लगातार सेनाक तीनों अंग अपन रणनीति बनौलक। स्थानकेँ चयन केलक आ हरी झंडी भेटीते अपन ऑपरेशनकेँ सफलतापूर्वक अंजाम देलक।

एहिसँ पूर्व पाकिस्तानी सेना आरोप लगेलक जे भारतीय वायुसेना मुजफराबाद सेक्टरमे नियंत्रण रेखाकेँ (एलओसी) उल्लंघन केलक अछि। पाकिस्तानी सेनाक मीडिया शाखा अंतर-सेवा जन संपर्क (आईएसपीआर) केँ महानिदेशक मेजर जनरल आसिफ गफूर ट्वीट केलक, ‘‘भारतीय वायुसेना के विमान मुजफराबाद सेक्टर से घुसे। पाकिस्तानी वायुसेना की ओर से समय पर और प्रभावी जवाब मिलने के बाद वह जल्दीबाजी में अपने बम गिरा कर बालाकोट के करीब से बाहर निकल गये। जानमाल को कोई नुकसान नहीं हुआ है।’  ई त’ एहने वक्तव्य भेल उल्टा चोर कोतवालकेँ डांटे। पहिने त’ मानय लेल तैयार नै बादमे गिदर भभकी जे पाकिस्तानी वायुसेना द्वारा तुरंत जवाब देल गेल । जाहि कारण भारतीय वायुसेनाक विमान लौट गेल। बतादी जे एहन तरहक आरोप तखन लगाओल जा रहल अछि जखन जम्मू-कश्मीरकेँ पुलवामामे 14 फरवरीकेँ सीआरपीएफ जवानक काफिला पर भेल जैश-ए-मोहम्मदकेँ आत्मघाती हमलाकेँ बाद दुनु देशक बीच तनाव बढ़ी गेल अछि। एहि हमलामे सुरक्षा बलक 40टा  जवाब शहीद भ’ गेल छल। आखिर कहिया धरि भारतीय सेना बर्दाश्त करत। लगातार पाकिस्तानकेँ तरफसँ सीजफायर उलंघन भ’ रहल अछि। एहनमे एहने जबाबी कार्रवाईकेँ जरूरत छल।