दू बच्चाक माँ’क भेल 19 सालक लड़का’क संग प्रेम, महिला के पुतौह मानय सं पिता केलक इनकार

    0
    281
    दरअसल, एकटा प्रेमी जोड़ा आ परिवारक द्वारा ई ड्रामा कायल गेल। एकटा शादीशुदा आ दू बच्चाक मां स एकटा 19 वर्षीय युवक के प्रेम भय गेल, दूनू घर छोड़ि कय भागि गेल आ फरीदाबाद मे जा कय विवाह कय लेलक। जहन दूनू वापस घर आयल त दुनूक परिवार अहि विवाह के विरोध केलक। मामला थाना पहुंचल आ थाना मे दूनू परिवार आपस मे लड़य लागल।

    ओतहि, थाना मे मौजूद पुलिसकर्मी कोनो तरहे दुनु परिवार के समझा बुझाकय घर पठेलक, फेर मामला शांत नहि भेल कियैक त लड़का के परिवार दू बच्चाक मां के घर मे रखबा सं मना कय देलक। ओतहि, महिलाक कहब अछि जे, उम्र देखि कय प्रेम नहि होइत अछि। रहब त संग, नहि त जहर खाकय आत्महत्या कय लेब।