आब दरभंगासँ अहमदाबाद धरि चलत साबरमती एक्सप्रेस

0
2063

दरभंगा, मिथिला मिरर : मिथिलामे लगातार किछु महिनासँ रेल सुविधामे बढ़ोतरी भ’ रहल अछि। मिथिला क्षेत्रक बहुत लोक गुजरातक अहमदाबाद, गाँधीनगर, सूरत, बड़ोदरा आ वापीमे रहैत छथि। हुनका लोकनिकेँ अपन गंतव्य धरि जेबामे अनेक तरहक परेशानी होइत छलनि। हुनका लोकनिक लेल इ खबरि महत्वपूर्ण छनि। एहि सभ तरहक स्थितिकेँ देखैत रेलवे यात्री सुविधाकेँ ध्यानमे रखैत कतेको ट्रेनक विस्तार करबाक फैसला केलक अछि। हालहीमे कतेको लंबी दूरीक ट्रेनकेँ एक्सटेंड कएल गेल अछि। रेलवेकेँ मानी तँ जे ट्रेन स्टेशन पर घंटो ठाढ़ रहैत अछि, आब रेलवे ओकरा एक्सटेंड करबाक लेल रेलवे बोर्ड द्वारा सभ जोनसँ ट्रेनक सूची मंगलक अछि। ट्रेनकेँ लम्बा दूरी धरि चलेबाक आ समय परिवर्तन पर ध्यान देल जा रहल अछि। एहि योजनाक तहत साबरमती एक्सप्रेसकेँ विस्तार क’ दरभंगा धरि कएल जायत।

ट्रेन संख्या 191617/19168 अहमदाबादसँ वाराणसी तक चलय वला साबरमती एक्सप्रेसक विस्तार दरभंगा धरि कएल जा रहल अछि। साबरमती एक्सप्रेस वाराणसी स्टेशन पर 28 घंटा ठाढ़ रहैत अछि जेकरा देखैत आब एकर विस्तार दरभंगा तक कएल जायत। ट्रेन संख्या 19167 वाराणसीसँ भोर 9: 50 मिनट पर खुजत आ ओहि दिन साँझ 7 :50 बजे दरभंगा पहुँचत। ट्रेन संख्या 19168 दरभंगास भोर 4 :15 पर खुजत आ दुपहर 2 :15 पर वाराणसी पहुँचत। ई ट्रेन वाराणसीसँ अपन निर्धारित समय दुपहरिया 2:30 पर खुजत। अहमदाबादसँ वाराणसीक बीच ट्रेनक समयमे कोनो बदलाव नै कएल गेल अछि।

सकरी हसनपुर रेलखंड पर हसनपुरसँ बिथान धरि एहि सालक अंत तक चलत रेल

79 किमी लंबा सकरी हसनपुर रेललाइनक निर्माण 325 करोड़ रुपैयाकेँ लागतसँ कएल जा रहल अछि। सकरीसँ हसनपुर रेलखंड पर निर्माण कार्य पछिला कतेको सालसँ चलि रहल अछि। बतादी जे एहि रेलखंडक शिलान्यास 1974 मे तत्कालीन रेलमंत्री ललित नारायण मिश्र केने छलाह ओकरा बाद रामविलास पासवान सेहो एकर शिलान्यास केने छलाह। लालू यादवकेँ रेलमंत्री बनलाक बाद एहि रेलखंड पर काज शुरु भेल छल । 79 किलोमीटर लम्बा रेलखंडमे सकरीसँ बिरौल आ बिरौलसँ हरनगर तक रेल सेवा शुरू क’ देल गेल। हरनगरसँ हसनपुरकेँ बीच रेललाइनक निर्माण काज चलि रहल अछि। हसनपुरसँ बिथान तक एहि सालक अंत धरि रेल सेवा शुरू भ’ सकैत अछि।

सकरी हसनपुर रेलखंड शुरू भेलासँ हसनपुरसँ दरभंगा आ जयनगरक दूरी कम होयत। ओतहि सहरसाक दूरी सेहो हसनपुरसँ घटत। रेलयात्री हसनपुरसँ बिरौल स्टेशन उतरि क’ सड़क मार्गसँ सहरसा आबि सकैत छथि। सहरसासँ कुसेश्वरस्थानक बीच रेल प्रस्तावित अछि। हसनपुरसँ सकरीक बीच हसनपुर, बिथान, कोराही, कुशेश्वरस्थान, हरनगर,बिरौल,नेडली, बेनीपुर,जगदीशपुर आदि स्टेशन शामिल होयत। आब देखबाकेँ बात इ अछि जे आखिर कहिया धरि एहि रेलखंड पर सुचारू रूपसँ रेल परिचालन शुरू होयत।