श्मशान घाट मे अर्थी पर जीब उठल महिला, देखबाक लेल लागल भीड़

    0
    295

    मुज्ज़फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर जिला अंतर्गत बोचहां के ककड़ाचक गाम मे सोमदिन एकटा अजीब घटना घटल। गामक रमेश कुमार सिंह’क पत्नी मंजू देवी सोमदिन भोर मे आंगन मे फूलक गाछ मे पानि दय रहल छली। अहि दौरान ओ बेहोश भय गेलीह, घरक लोक ईलाजक लेल एकटा निजी अस्पताल मे लय गेल जतय डाॅक्टर महिला के मृत घोषित कय देलक।

    अहि के बाद परिजन दाह-संस्कारक लेल लहास के शमशान घाट लय गेल। जतय चिता पर पड़ल महिलाक शरीर मे सुगबुगाहट होबय लागल। जाहि के बाद तुरंत डॉक्टर के श्मशान घाट बजाओल गेल। मुदा फेर परिजन के निराशा हाथ लागल।

    पति रमेश कुमार के अनुसार डाॅक्टर के मृत घोषित करबाक बाद दाह-संस्कारक श्मशान घाट तक ठंठ मे एलाक कारने महिलाक मौत भेल। नजदीकी डाॅक्टर सेहो कही रहल अछि जे, मौत ठंड के कारण भेल अछि। एहेन मे अस्पतालक डॉक्टर के योग्यता पर प्रश्न चिन्ह लगैत अछि।