दरभंगा मे आपसी लेनदेनक विवाद मे युवक घायल

    0
    287

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा जिलाक बहादुरपुर थाना अंतर्गत बलभद्रपुर नवटोल मे दू पक्षक बीच भेल आपसी झड़प मे एकटा युवक आंशिक रूप स घायल भय गेल। सूत्रक अनुसार गोविंदपुरक निवासी ललन चौधरी अप्पन दोस्तक संग नवटोलिया स काज कय आबि रहल छलाह। अहि क्रम मे 22 नंबर गुमती के समीप मिट्ठू चौधरी नवीन पासवान उर्फ़ खल्लास आ रवि पासवान उर्फ़ फैंटा के संग मिलकय ललन के घेर लेलक आ कहलक जे, तगेदा करैत छै, दोकान मे आगि लगा देबौ।

    अहि के बाद दुनु मे हाथापाई शुरू भय गेल आ मिट्ठू चौधरी ललन पर चाक़ू स हमला कय देलक जाहि मे ओ घायल भय गेल। बताओल जा रहल अछि जे, मिट्ठू ललन उर्फ़ पाटेन के मोटरसाइकिल सेहो क्षतिग्रस्त कय देलक। किछु दिन पहिने 22 न. गुमटी स्थित टेंट हाउस स सामान लेने छल। जकर किराया एखन तक नहि देलक। भुगतानक लेल जहन तगेदा केलक त मिट्ठू चौधरी अप्पन दोस्तक संग मिलकय घायल युवक के घेर कय मारि पीट केलक।