मिथिलामे लगातार भ’ रहल अछि विकास : संजय झा

0
616

दरभंगा, मिथिला मिरर : कार्यकर्ता पार्टीक रीढ़ होईत छैक आ हुनकेँ सभक सहारे पार्टी अपन विचारधाराकेँ समाजक अंतिम व्यक्ति धरि पहुँचेबाक काज करैत अछि। ई बात राज्य योजना परिषदक सदस्य आ जदयू नेता संजय झा कुर्सो मछैता स्थित बाल विद्या मंदिरमे जदयू कार्यकर्ताकेँ संबोधित करैत कहलनि। संजय झा कहलाह जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार न्यायकेँ संग सभक साथ सभक विकास करय वला आ भ्रष्टाचारसँ कोनो तरहक समझौता नै करय वला विकास पुरुष छथि। हुनक प्रयाससँ मिथिलामे निरंतर विकास भ’ रहल अछि। सालोंसँ अलग-थलग पड़ल मिथलाकेँ बिरौल-गंढौल मार्गक सौगात द’ एक सूत्रमे बान्हल गेल अछि। आब दरभंगा समेत अन्य जिलाक लोक सभके हवाई यात्रा जेहन सुविधा भेटत। आवय वला समयमे दरभंगाकेँ एम्सक सौग़ात सेहो भेटत। श्रीझा कहलनि जे आगामी 2019 मे दरभंगासँ एनडीएक जे कियो प्रत्याशी होइ हुनका लेल कार्यकर्त्ता अपन पूरा ताकत लगा जितेबाक लेल कमर कसि लिय।

बिहारक विकास मॉडलकेँ देश भरिमे भ’ रहल अछि प्रशंसा: अमर नाथ गामी

दरभंगा, मिथिला मिरर : मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक बिहार विकास मॉडल देशक लिए नजीर बनि गेल अछि। आई समुच्चा देश- विदेशमे बिहारक नाम गर्वसँ लेल जायत अछि। बिहारक पुरान गौरवकेँ वापस लेबाक श्रेय मुख्यमंत्री श्री कुमारकेँ जाइत छनि। ई बात कहलनि हायाघाटक स्थानीय विधायक अमरनाथ गामी। गामी कहलनि जे मुख्यमंत्रीकेँ द्वारा शराबबंदी, दहेज प्रथाकेँ विरुद्ध उठाओल गेल कदम बहुत काबिले तारीफ अछि। हुनक एहन तरहक प्रयास समाजमे एकटा क्रांति अनलक अछि। आई एहि तरहक प्रयाससँ बहुत गरीब-गुरबाक परिवार उजड़यसँ बचि गेल। लोक सभ सुकूनक जिनगी जिब रहल छथि। मुख्यमंत्री द्वारा उठओल गए कदमक सफलताकेँ सदियों धरि लोक याद करत। गामी संगठनकेँ मजबूती पर मुख्य फोकस दैत पार्टी कार्यकरर्ता सभके आगामी लोकसभा चुनावकेँ ध्यानमे राखि तैयारीमे जुटी जेबाक आह्वान केलनि।

केंद्रक नीतिसँ गरीब आ किसानक स्थिति खराब : रंजीत रंजन

ओतहि दोसर दिस सुपौलक सांसद कहलनि जे बिहारमे सुसाशनक नाम पर लोक सभकेँ गुमराह कएल जा रहल अछि। रंजीत रंजन अपन संसदीय क्षेत्रमे एकटा शिलान्यासक कार्यक्रममे बजलिह। क्षेत्रमे विकास काजकेँ रफ्तार देबा आ किसानक समस्या दूर करबाक दिशामे लगातार काज भ’ रहल अछि। कांग्रेस पार्टी सेहो विकासकेँ प्राथमिकता द’ रहल अछि। सांसद रंजीत रंजन प्रखंडक मौरा झरकाहा पंचायतक चिलोनी नदीक गोढ़ियारी घाट पर शनिदिन दूटा आरसीसी पुलक शिलान्यास करैत कहलिह। चिलोनी नदीक गोढ़ियारी घाट पर 328.10 लाख आ कवियाही पंचायतक बघला धार पर 451.25 लाख रुपैयाक लागतसँ आरसीसी पुलक निर्माण हेबाक छैक। शिलान्यास कार्यक्रमक बाद दूनू घाट पर नुक्कड़ सभाकेँ आयोजन कएल गेल छल। नुक्कड़ सभाकेँ संबोधित करैत सांसद रंजीत रंजन कहलनि जे एहि पुलक माँग कतेको सालसँ एतयकेँ ग्रामीण सभ क’ रहल छलथि। सांसद केंद्र सरकार पर आरोप लगबैत कहलिह जे मोदी सरकार नोटबंदी क’ जनताकेँ गुमराह कएलनि आ पूंजीपतिकेँ फायदा पहुँचेलनि। मोदी सरकारमे राफेल घोटाला,व्यापम घोटाला आ कतेको घोटाला भेल।