मुजफ्फरपुरमे कैदी वैनकें रोकि कए आंगनबाड़ी सेविका’क हंगामा

    0
    290

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मानदेय भुगतान सहित अन्य मांगक लेल आंगनबाड़ी सेविका सब मंगलदिन आंदोलनक नाम पर जमिकय मनमानी केलनि। प्रदर्शनके नाम पर करीब चारि घंटा धरि सरैयागंज टावर जाम रहल। ओहि रस्ता सं जे, निकालबाक प्रयाश केलक सेविका ओकरा सं झगडि परथि। किछु मोटरसाइकिल सवार सं मारिपीट कएल गेल। पेशीक लेल कैदीकें लय जा रहल वैनकें घेरल गेल।

    सूचना पर पहुंचल पुलिस वैनकें सेविका सं मुक्त करौलक। चालक वैनकें कहुना निकालि कय लए गेल। वैनमे करीब एक घंटा तक बंदी बंधक रहल। आंदोलनक कारण सरैयागंज, गोला रोड, कंपनीबाग, जूरन छपरा, सूतापट्टी, सिकंदरपुर आ अखाड़ाघाट समेत बहुतो मार्ग पर वाहनक परिचालन ठप रहल। डीएमके आश्वासनक बाद सेविकाक आंदोलन समाप्त भेल।