बिहारकेँ 105’म वर्षगांठ पर प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी देलनि बधाई

    0
    297

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार आए 105 सालक भए गेल। अपन बढ़ैत उम्रक संग बिहार जवान भए रहल अछि। अहि अवसर पर बिहार दिवस मनेबाक लेल पूरा तैयारी पटनाक गांधी मैदानमे कय लेल गेल अछि। तीन दिन तक बिहार दिवसके अवसर पर समुच्चा प्रदेशमे उत्सव मनाओल जाएत। अहि अवसर पर मुंबईकें कलाकार द्वारा रंगारंग कार्यक्रम’क प्रस्तुति सेहो देल जाएत।

    दरअसल, 22 मार्च 1912 कए बिहार बंगाल सं अलग भेल छल। ताहि दुआरे सब साल 22 मार्च कए बिहार सरकार बिहार दिवस मनाबैत अछि। अहि उत्सवकें मनेबाक परंपरा 2011 सं शुरू भेल छल। तीन दिन तक पटनाक गांधी मैदानमे भव्य कार्यक्रमक आयोजन कएल जाइत अछि।

    अहि अवसर पर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सेहो सब बिहारवासीकें बधाई देलनि अछि। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बिहारक लोककें बिहार दिवसक बधाई देलनि अछि। बुधदिन भोरे प्रधानमंत्री ट्वीट कय ई बधाई देलनि। अहि ट्वीटमे ओ ‘बिहार दिवस’कें अवसर पर बिहारक जनताकें बधाई देलनि।