भागलपुर सं हवाई जहाज उड़बाक रस्ता साफ

    0
    270

    भागलपुर, मिथिला मिरर: भागलपुर सं हवाई जहाज उड़बाक रस्ता साफ भय गेल अछि। जिला प्रशासन लैंडिंग चार्ज 75 हजार रुपैया सं घटाकर 9075 रुपये कय देलक अछि। अहि के लेल पुलिस आ दंडाधिकारीक शुल्क मे भारी कटौती कायल गेल अछि। आब अनुमोदन के लेल वित्त विभाग के भेज देल जायत। ई निर्णय शुक्रदिन क जिला स्तरीय पदाधिकारी बैसक मे भाग लेलनि। बैसक के अध्यक्षता जिला पदाधिकारी आदेश तितरमारे केलनि।

    प्रशासनक अहि निर्णय सं भागलपुर स उड़ान भरबाक इच्छुक विमानन कंपनी के वर्षो पुरान मांग पूरा भय गेल। लिहाजा नव साल मे बहुतो कंपनी एतय सं उड़ान शुरू कय सकैत अछि। ई भागलपुर आ आस-पासक जिला के लोकक लेल खुशखबरी अछि।

    अगिला साल हवाई अड्डा मे नागर विमानन मंत्रालय नव लाउंज बनओत। मॉडल प्राक्कलन के अनुसार निर्माण कार्यक जिम्मेदारी भवन प्रमंडल के होयत। डीएम कहलनि जे, हवाई अड्डा के सुरक्षा मे बीएमपी के एकटा प्लाटून (30 जवान) स्थाई तौर पर तैनात रहत।