राज ठाकरेक बयान पर कहला तेजस्वी, महाराष्ट्र केकरो बपौती नहि थिक

    0
    287

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार उपमुख्यमंत्री आ लालू प्रसाद यादवक छोट बेटा तेजस्वी यादव महारष्ट्र नवनिर्माण सेनाक प्रमुख राज ठाकरे द्वारा मुंबई मे रहि रहल प्रवासी बिहारी पर एक बेर फेर सं कैल गेल अभद्र टिप्पणीक जवाब दैत कहला जे महाराष्ट्र केकरो बापक लागल नहि थिक आ अहि देशमे जखन जेकरा जतय जेवाक मोन हेतै ओ निधोख भय आओत आ जायत, इ हमरा सबहक संवैधानिक अधिकार अछि।

    उपमुख्यमंत्री कहला जे केन्द्र मे भाजपाक सरकार अछि त महाराष्ट्रमे सेहो भाजपा आ शिवसेनाक गठबंधनक सरकार अछि मुदा जाहि तरहक काज राज ठाकरे कऽ रहल अछि ओ बिना भाजपा-शिवसेनाक सह पर नहि कैल जा सकैत अछि। तेजस्वी यादव प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी पर जुबानी पलटवार करैत कहला जे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी जौं बिहार औताह त ओ कोन मुंह सं बिहारक जनता कें जवाब देताह।

    अपने के बता दी जे महाराष्ट्र सराकर मुंबई में 10 हजार नव टेम्पोक परमिट जारी केलक अछि जाहिमे इ प्रावधान छैक कि जे 15 साल सं मुंबई मे रहि रहल हो आ ओकरा मराठी अवैत अछि तरके इ परमिट देल जायत। अहि कें विरोधमे मनसे अध्यक्ष राज ठाकरे अपन पार्टीक दसम स्थापना दिवस पर अपन कार्यकर्ता कें संबोधित करैत इ आदे छल जे ओहि ऑटो मे सं गैर मराठी कें उतारि आ ओहिकें बाद ओहि ऑटो के आगि लगा देल जाय। कारण जे मुंबई मे गैर मराठीक संख्या बहुत बेसी भय गेल अछि आ ओकरा कोनो प्रकारेण रोकल जायब जरूरी छैक।