होमगार्ड जवानक भूख हड़ताल, यातायात व्यवस्था प्रभावित

    0
    258

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: बिहार रक्षा वाहिनी स्वयंसेवक संघक बैनर तर हड़ताली होमगार्ड जवान शुक्रदिन डुमराक अंबेदकर स्थल पर भूख हड़ताल केलक। होमगार्ड साँझमे मशाल जुलूस निकालि सरकारक खिलाफ प्रदर्शन सेहो केलक। ई जुलूस होमगार्ड कार्यालय सं चलिकय अंबेदकर स्थल पर पहुंचल। कार्यक्रमक अध्यक्षता संघक अध्यक्ष रामेश्वर सिंह केलनि तथा मौक़ा पर उपाध्यक्ष अशोक सिंह, उपाध्यक्ष श्याम किशोर सिंह, दुखहरण मिश्र, कार्यालय सचिव उदय नारायण झा, कोषाध्यक्ष घनश्याम किशोर राय, डेलिगेट रामभगत राय, शिवकुमार चौरसिया व अन्य जवान उपस्थित छल।

    उम्हर, होमगार्ड जवानक हड़ताल सं शहरक बहुतो इलाकाक ट्रैफिक व्यवस्था चरमरा गेल अछि। शुक्रदिन शहरक मेहसौल चौक, कारगिल शहीद चौक व डुमरा रोडमे ट्रैफिक जामक खूब नजारा देखल गेल। पुलिसक जवान पूर्ण रूपे ट्रैफिक व्यवस्था सम्हारबामे असफल अछि। जवानक हड़ताल सं बैंकमे सुरक्षा व्यवस्था सेहो प्रभावित भेल अछि।

    भीड़ नियंत्रित करबाक लेल मुख्य द्वारि पर निजी सुरक्षा गार्ड लगाओल गेल अछि। हड़तालक कारने अग्निशमन विभाग सेहो प्रभावित अछि। वाहनकें चलेबाक लेल चालकक कमी भए गेल अछि। अहिकें अलावा रात्रि गश्तीमे सेहो दिक्कत भए रहल अछि।