नोटबंदी सं देश मे अविश्वासक माहौल पैदा भय गेल अछि : कीर्ति आजाद

    0
    313

    दरभंगा, मिथिला मिरर: पूर्व किक्रेटर आ भाजपा सं निलंबित सांसद कीर्ति आजाद नोटबंदीक मुद्दा पर एक बेर फेर वित्त मंत्री अरुण जेटली पर हमला करैत आरोप लगेलनि जे, जेटलीक अक्षमताक कारण केंद्र सरकारक किरकिरी भ रहल अछि, एहेन मे हुनका इस्तीफा दय देबाक चाही।

    कीर्ति आजाद पत्रकार सं बातचीत मे कहलनि जे, देशक प्रधानमंत्री कोनो निर्णय लय रहल छथि आ बैंक मे करोड़ो लोक कालाधन सफेद कय रहल अछि। बैंक ककर अंतर्गत अछि? ई वित्त मंत्रालय के अंतर्गत अछि। वित्त मंत्री अक्षम छथि आ अर्थशास्त्री सेहो नहि। हुनका इस्तीफा दय देबाक चाही।

    आजाद आरोप लगेलनि जे, नोटबंदी सं देश मे अविश्वासक माहौल उत्पन्न भय गेल अछि।नोटबंदी उल्टा आफत पैदा कय देने अछि। कीर्ति आजाद आरोप लगेलनि जे यदि सरकारक मंशा स्पष्ट रहैत त विमुद्रीकरण के पूर्व तैयारी अवश्य रहैत।