श्रद्धालुक स्वागत लेल सजि-धजि कय तैयार अछि पटना साहिब

    0
    307

    पटना, मिथिला मिरर: गुरु गोविन्द सिंहक 350’म प्रकाशोत्सवक लेल बिहारक राजधानी पटना तैयार अछि। 11 दिन धरि चलय वला प्रकाशोत्सवक शुरूआत भय गेल अछि। अहि के लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक निर्देश पर पटना सिटी सं लय कय समुच्चा राजधानी क्षेत्र के रौशनी सं जगमग कय देल गेल अछि।

    खासतौर पर पटना सिटी के तख्त श्री हरमंदिर दिस जाय वला रस्ता के सब मकान के सफेद रंगक खास पेंटिंग कायल गेल अछि। देश-विदेश सं पटना आबय वला श्रद्धालुक लेल पटनाक तीनू जगह पर 35,800 टेंट बनाओल गेल अछि, जकरा टेंट सिटी नाम देल गेल अछि। अहि सब जगह पर बाहर सं आबय वला श्रद्धालुक रुकबाक व्यवस्था कायल गेल अछि।

    अधिक श्रद्धालुक हालत मे सरकार आम लोक सं अपील केने छलाह जकर परिणाम देखबाक लेल भेटि रहल अछि। पटना सिटी मे आम लोक सेहो अप्पन घरक दरबज्जा श्रद्धालुक ठहरबाक लेल खोलि देलक अछि।

    शनिदिन बिहार सरकार सड़क पर 227 बस के उतारलक अछि जे, प्रकाशोत्सव के दौरान पटना आबय वला श्रद्धालु के मुफ्त मे सैर करा सकय। प्रकाशोत्सवक समापन के मौका पर 5 जनवरी क प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सेहो पटना एताह।