राष्ट्र के समृद्ध बनेबाक लेल संस्कृत भाषाक अध्ययन जरूरी अछि : कुलपति

    0
    284

    दरभंगा, मिथिला मिरर: कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय के शिक्षा-शास्त्र विभाग मे सोमदिन द्वितीय वर्ग सत्रक समापन समारोह के संबोधित करैत कुलपति प्रो. नीलिमा सिन्हा कहलनि जे, राष्ट्र के समृद्ध करबाक लेल संस्कृत भाषाक अध्ययन जरूरी अछि। कार्यक्रम मे बतौर अध्यक्षता करैत कुलपति कहलनि जे, लगातार विश्वविद्यालय मे भय रहल संस्कृत सम्भाषण शिविर के प्रभाव स छात्र आपस मे संस्कृत बजनाइ शुरू कय देलक अछि।

    मुख्य अतिथि के रूप संस्कृत भारती के अखिल भारती महामंत्री श्रीशदेव पुजारी कहलनि जे, संस्कृत छात्र के अलावा आसपासक विश्वविद्यालय आ महाविद्यालय के आधुनिक छात्र एवं प्राध्यापक जाहि उत्साह सं अहि प्रशिक्षण मे भाग लय रहल छथि, ई वस्तुतः संस्कृतक विकास लेल नीक पहल अछि। ओ कहलनि जे, छात्र एवं प्राध्यापक सं निवेदन केलनि जे सरल भाषा द्वारा वाक्य निर्माण कय दैनंदिनी जीवन मे एकर प्रयोग कायल जाय।

    कार्यक्रम अध्यक्ष छात्र कल्याण डॉ. श्रीपति त्रिपाठी, उत्तर बिहार के प्रांतीय मंत्री डॉ. रमेश झा, शिक्षाशास्त्र निदेशक डॉ घनश्याम मिश्र, डॉ नन्द किशोर चौधरी, डॉ ऋद्धिनाथ झा सेहो सम्बोधित केलनि। धन्यवाद ज्ञापन करैत प्रशिक्षक डॉ रामसेवक झा प्रशिक्षु छात्र स आग्रह केलनि जे, भाषाक निरन्तरता बनेबाक लेल आपस मे संस्कृत वार्तालाप पर जोर देथि।