पटना मे हंगामा आ सरकारी सम्पति के नुकसानक मामला मे पप्पू यादव पर मुकदमा

    0
    326

    पटना, मिथिला मिरर: मधेपुराक सांसद आ जन अधिकार पार्टीक संरक्षक पप्पू यादव के खिलाफ पटना के गांधी मैदान थाना मे केस दर्ज। सांसद समेत कुल 12 गोटे पर ई केस दर्ज कायल गेल। मामला मंगलदिन पटना मे जाप पार्टीक प्रदर्शन स जुड़ल अछि। जतय सांसद आ समर्थक जमि कय हंगामा केलनि।

    पटना मे भेल प्रदर्शन के दौरान जन अधिकार पार्टीक नेता पर सराकरी काज मे बाधा देबाक, पुलिस पर हमला आ सरकारी संपति के नुकसान पंहुचेबाक आरोप अछि। अहि मामला के लय गांधी मैदान थाना मे आई पी सी के धारा 147, 148, 149, 341, 342, आ 504 के तहत केस दर्ज कायल गेल अछि।