हरलाखी मे बीडीओ के मारबाक तथा प्रखंड कार्यालय के जरेबाक धमकी

    0
    488

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिलाक हरलाखी प्रखंडक बीडीओ सरोज कुमार बैठा के एकटा शिक्षक जान सं मारबाक तथा प्रखंड कार्यालय के ज़रा देबाक धमकी देलक अछि। बीडीओ स्थानीय थाना के आवेदक दय कहलनि जे, हमारा मोबाईल नम्बर 8409225062 स सोनई निवासी रविंद्र झा फोन कय कहलनि जे, एपीएल वला के कूपन कियैक नहि देल जा रहल अछि। अहि पर हम कहलियनि जे, नियम के अनुकूल ककरो कूपन देल जा सकैत अछि।

    ताहि पर रविन्द्र झा आपा सं बाहर भय गेलाह आ कहलनि जे, यदि कूपन नहि भेटल त हम अहाँ के जान स मारि देब आ प्रखंड कार्यालय के कर्मी समेत जरा देब। एतबे नहि ओ फोन पर गाली गलौज कय जाति सूचक शब्द कहलनि आ जनता के भड़केबाक धमकी सेहो देलनि। कही दी  जे, आरोपी मधवापुर प्रखंड मे समदा स्कुल मे शिक्षकक पद पर कार्ररत छथि।