दू गुटक बीच पथराव आ फायरिंग मे दर्जनो घायल

    0
    281

    सीवान, मिथिला मिरर: मंगलदिन साँझ मे सिवानाक रजनपुरा गाम पूर्णरूपे अखाड़ा सामान बनि गेल।सोमदिन दू पक्षक बीच भेल मामूली विवाद उग्र रूप धारण कय लेलक। गाली-गलौज स शुरू भेल मामूली विवाद मारिपीट आ पत्थरबाजी मे बदलि गेल। जकरा बाद धीरे-धीरे विवाद गंभीर रूप धारण कय लेलक। सूत्रक अनुसार मारिपीट मे दुनू पक्षक लगभग एक दर्जन लोक घायल भेलाह, जिनकर स्वास्थ्य लाभ सदर अस्पताल मे चलि रहल अछि।

    मामलाक जानकारी भेटलाक बाद स्थानीय थाना आ प्रशासनिक अधिकारी घटनास्थल पर पहुचलाह, मुदा मामला गंभीर हेबाक कारण घटनास्थलक नजदीकी सिसवन, चैनपुर, हुसैनगंज, आंदर सहित आधा दर्जन थानाक पुलिस टीम के बजाओल गेल। डीएम-एसपी सहित पुलिस प्रशासन के आलाधिकारी मौका पर पहुँचि कय मामला के सुलझेबाक प्रयास मे जुटि गेलाह।

    घटना के संबंध मे बताओल जा रहल अछि जे, सोमदिन साँझ मे गोरखपुर मे सड़क दुर्घटना के शिकार भेल रजनपुरा निवासी छोटेलाल यादवक लहास गाम आनल गेल छल। जाहि कारने ओतय भाड़ी भीड़ लागि गेल, ताहि क्रम मे रजनपुरा निवासी एकटा पूर्व मुखिया मोटरसाईकिल स जा रहल छलाह, जाहि स किनको कनिक धक्का लाईग गेलनि, जकरा बाद विवाद शुरू भय गेल।