गया जंक्शन पर यात्रीके लेल वाइ-फाइ सेवा बहाल

    0
    249

    गया, मिथिला मिरर: डिजिटलाइजेशन के अहि दौड़ मे बोधगया स्थित महाबोधि मंदिर परिसर के बाद आब गया जंक्शन पर सेहो वाइ-फाइ सेवा बहाल कय देल गेल। सोमदिन स रेलयात्री के वाइ-फाइ सुविधा भेटय लगलनि जाहि स यात्री मे ख़ुशी व्याप्त अछि। फिलहाल ई सुविधा 20 मिनट के लेल देल जा रहल अछि, जाहि लेल यात्री के एकटा फोटो, आईकार्ड, टिकट तथा मोबाईल नंबर रेलवे काउंटर पर जमा कराबय पड़तनि। जाहि लेल जंक्शन पर एकटा अलग काउंटर खोलल गेल अछि।

    रेलवे बोर्डक आदेश पर मुगलसराय कार्यालय ‘रेलटेक कॉरपोरेशन ऑफ इंडिया लिमिटेड’ के ई जिम्मेवारी देने छल। कंपनी एक सप्ताह पहिनहि स कार्य शुरू कय देने छल जाहि स सोमदिन स सेवा बहाल कायल जा सकल। सूत्रक अनुसार कागजात जमा करेबाक 24 घंटा बाद यात्री के ई सुविधा देल जायत। एक बेर रजिस्ट्रेशन करेलाक बाद यात्री के दोसर बेर मात्र टिकट नंबर बताबय पड़तनि।

     जानकारीक अनुसार वाइ-फाइ सेवा दायरा एखन प्लेटफार्म नंबर एक स नौ धरि राखल गेल अछि, जकरा बाद मे बढ़ाओल जा सकैत अछि। अहि सुविधाक लाभ लेबाक लेल यात्री लग स्मार्ट फोन रहनाय अनिवार्य अछि। स्मार्ट फोन के बिना यात्री अहि सुविधाक लाभ नहि उठा सकैत छठी।