मधुबनीक अररिया संग्राम लग एनएच-57 पर भीषण हादसा, 4 केर मौत, कतेको घायल

    0
    367

    मधुबनी,मिथिला मिरर-सुजित कुमार झाः मधुबनी जिलाक अररिया संग्राम लग राष्ट्रीय राजमार्ग 57 पर शनिदिन भोरमे बस आ ट्रक केर बीच भेल भीषण हादसामे कम सं कम 4गोटेक मृत्यु भए गेलनि जखन कि 1 दर्जन सं बेसी घायल छथि। स्थानीय निवासी रामप्रित केर अनुसार एनएच-57 पर ठाढ़ एकटा ट्रकमे सवारी बस आबि कऽ टक्कर मारलक आ ओकर इ परिणाम भेल इ 4 गोटेक मृत्यु त घटने स्थल पर भए गेलनि।
    हादसा एहन विकराल छल जे टक्कर सं बसक अगिला हिस्सा थौआ-थौआ भए गेलैक। घटनाकें बाद सं घटनास्थल पर आसपासक ग्रामीण लोकनिक भीड़ जुटल अछि जखन कि घायल लोकिन कें सदर अस्पताल मधुबनी, दरभंगा मेडिकल काॅजेल अस्पताल आ पटना मेडिकल काॅलेज अस्पतालमे भर्ती करवाओल गेल अछि। रामप्रीत कहैत छथि जे प्राप्त जानकारीक मुताबिक किछु गोटेक स्थिति एखनो नाजुक बनल छन्हि। अपनें कें बता दी जे एनएच-57 पर हादसा आम बात बनि गेल अछि जा खास कऽ अररिया संग्राम त एकर सेंटर प्वाइंट बनल जा रहल अछि।
    इ घटना शनिदिन भोरहवरामे भेल करीब ढ़ाई सं तीन बजे कें बीच भेल जखन पटना सं पूर्णिया जा रहल बस एनएच-57 पर ट्रकमे ठोकर माइर देलक। मृतकक पहचान हाजीपुरक गोदई सराय गामक राजीव कुमार शर्मा-45 वर्ष, छपराक गंडामन मशरक निवासी मो. हासिम अली-35 बरखक रूपमे कैल गेल अछि। दू गोट शवकेर पहचान एखन धरि नहि भए सकल। संगहि ड्राइवर आ खलासीक सेहो कोनो पता नहि चलि सकल अछि। घटनाक बाद जिला प्रशासन घटना स्थल पर पहुंच जांच शुरू कय देलक अछि।