गया रेलवे स्टेशन पर बेटिकट पकड़ल गेल बकरी, जुर्माना देलाक बाद छूटल

    0
    292
    दरअसल, जमशेदपुर जेबाक लेल मो. अरबाज अप्पन बकरीक संग प्लेटफॉर्म संख्या तीन पर बैसल छल।व्यक्ति के संग मे अप्पन टिकट त छल मुदा बकरी बिना टिकट के छल। अहि दौरान व्यक्ति अप्पन बकरी के घास खुआ रहल छल।

    संजोग स तखनहि टिकट जांच करबाक लेल टीटीई केप्लेटफॉर्म पर पहुँचल आ बकरी के देखि बकरी के मालिक स टिकट मंगलनि। ओहि व्यक्ति लग अप्पन टिकट त छल मुदा बकरी के टिकट नहि छल। बाद मे प्लेटफॉर्म गंदा करबाक लेल आ बेटिकट यात्राक नाम पर टीटीई बकरी के मालिक स जुर्माना वसूली कय जमशेदपुर जाय बला ट्रेन स जमशेदपुर भेज देलनि।