फल्गु नदी मे आयल सैलाब लोक परेशान

    0
    285

    नवादा, मिथिला मिरर: शुक्रदिन अचानक स फल्गु नदी अप्पन रौद्र रूप धारण कय लेली, जाहि स बिहारक मध्यवर्ती इलाका मे बाढ़ि के कहर देखबा मे आयल। गया मे फल्गु नदी मे आयल सैलाबक बाद नालंदा मे सेहो बाढ़िक पानि प्रवेश कय गेल। नालंदा बॉर्डर पर बसल मिल्कीपर गामक समीप दुपहरिया बाद अचानक फल्गु नदी मे तेज बहावक कारण बिहारशरीफ-जहानाबाद मार्ग सेहो अवरुद्ध भय गेल अछि।

    फल्गु नदीक पानि जहानाबाद जिलाक छोटी अकौना, मननपुर, चुनुनपुर सहित दर्जन भरि गाम मे घुसि गेल, जाहि स हजारो लोक फंसल छठी। नालंदा जिलाक केलाविगहा, केशोंपुर, बहुआरा, सहित अन्य गाम मे सेहो पानि प्रवेश करबाक कगार पर अछि।

    जहानाबादक रस्ता कटि जेबाक कारने जिला प्रशासन पीड़ित के कोनो तरहक मददि पहुंचाबय मे असमर्थ अछि। सूत्रक अनुसार जहानाबाद मे घुसल बाढ़िक पानि के बाद नालंदा जिलाक हिलसा प्रखंड मे सेहो पानि तांडव मचा सकैत अछि।